Font by Mehr Nastaliq Web

अपरतीब

apartib

अंशुमान सत्यकेतु

अन्य

अन्य

और अधिकअंशुमान सत्यकेतु

    कामरेड

    अहाँकेँ मारि देल

    कोनो अपरतीब नहि

    हमरा मिसियो भरि कष्ट नहि

    हेबो किये करय

    झड़कल मायक आँचर

    सरिपहुँ अनसोहाँत नहि

    एकपूता निर्पूता सन

    एकछाहा विलापिता जिनगी जीबय

    हम्मर की

    हमरा चुटकियो भरि कलेष नहि

    सोहरबो किये करय

    टूटल घरक खाम जकाँ

    ठाढ़ छलहुँ अहाँ

    जिनगीक कछेरमे

    मुदा

    बिहाड़ियेमे भसिया गेलहुँ

    ककरो किछु टेरबाहियो भेलै

    हेबो किये करैत

    दुखित छी दुखक भोरमे

    सीझल पिपनीक कोरमे

    औनाइत अछि विकलता

    साइत

    कबकबिये अहाँक बनि गेल विफलता

    मुदा

    कामरेड

    अहाँ घबराउ जुनि

    मिथ्या सरोकारसँ भरमाउ जुनि

    धधराक चेरा तैयार अछि

    एक ललकारपर

    बदलाक सभ डेरा तैयार अछि।

    (कामरेड प्रगति शेखरक लेल)

    स्रोत :
    • पुस्तक : एखन धरि (पृष्ठ 75)
    • रचनाकार : अंशुमान सत्यकेतु
    • प्रकाशन : नवारम्भ
    • संस्करण : 2018

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY