Font by Mehr Nastaliq Web

भीठ पर

bheeth par

हरेकृष्ण झा

अन्य

अन्य

हरेकृष्ण झा

भीठ पर

हरेकृष्ण झा

और अधिकहरेकृष्ण झा

    साबिके सँ बहराइत अछि

    बानी सारंगीक तार सँः

    ओएह टा बनि सकत

    पुंकेसर थलकमलक,

    जे जुटियो क' सभ किछु सँ

    हहाइत आबेसक संग,

    कनेक फराक भेल रहत;

    ओएह टा डगडग

    करैत रहत अर्थ सँ

    ताड़क अजोह को जकाँ,

    जे सहटल रहत

    अर्थक अनर्थ सँ;

    ओएह टा पबैत रहत मोक्ष,

    हाथ जकर

    आकाशक डीह भेल रहत।

    कतय सँ अबैत अछि बानी

    सारंगीक तार मे?

    आम किंवा लीचीक मज्जर सँ,

    जाहि पर फागुनक

    महुआएल रौद

    खूब चपकारि क'

    औंसल रहैत अछि!

    जिनगीक पेनी

    छनैत अछि बानीः

    निस्संग लागिक भीठ पर

    भकरार होइत अछि जीवन।

    स्रोत :
    • पुस्तक : एना त नहि जे (पृष्ठ 13)
    • रचनाकार : हरेकृष्ण झा
    • प्रकाशन : रक्तमंजरी प्रकाशन
    • संस्करण : 2006

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY