Font by Mehr Nastaliq Web

पृथ्वी

prithvi

बिभूति आनंद

अन्य

अन्य

बिभूति आनंद

पृथ्वी

बिभूति आनंद

और अधिकबिभूति आनंद

    यमुना संग

    गंगाक मिलन अछि

    सरस्वती सेहो छथि उपस्थित

    तीनू

    तीर्थ बनल छथि

    लोकक डूबसँ तृप्त

    अपनो तृप्त छथि तीनू बहिनियाँ

    क्यो-क्यो बोल्गासँ

    गंगाकेँ जोड़ैत छथि

    निजगुत कहब मुश्किल

    दुनूक सफल मिलनक

    जमजमक तँ

    अपन फराके दुनिया छनि

    सभ अपन

    आस्था संग जीबैत छथि

    लड़ैत छथि आस्थाक लेल

    दुनियामे छोट-पैघ

    आर अनेक धुरी अछि

    जाहिपर नचैत अछि

    अनेक-अनेक पृथ्वी

    सभ नदी

    सभ पृथ्वी

    सभ आस्थाक

    अपन-अपन लीला अछि

    से,

    ठीक-ठीक कहब मस्किल

    से,

    ठीक-ठीक जेना

    किछुओ नहि, ठीके-ठाक

    पृथ्वी एक ग्रह थिक

    ठीक-ठीक सरह थिक

    ताहीपर, नदी-झील-झरना

    मस्जिद-मन्दिर-गिरजाघर-गुरुद्वारा

    बाम-दहिन, पुरिबा-पछबा...

    ककरोसँ ककरो मेल नहि

    ककरोसँ ककरो लड़ाइ नहि

    पृथ्वी महाफसादी अछि

    गतिशील पृथ्वी

    ककरो चैन नहि रखने अछि...

    स्रोत :
    • पुस्तक : ओलतीमे बैसल मनोरथ (पृष्ठ 84)
    • रचनाकार : बिभूति आनन्द
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक
    • संस्करण : 2020

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY