Font by Mehr Nastaliq Web

प्रश्न पुछबाक अपराध

प्रणव नार्मदेय

अन्य

अन्य

प्रणव नार्मदेय

प्रश्न पुछबाक अपराध

प्रणव नार्मदेय

और अधिकप्रणव नार्मदेय

    जी

    एकटा प्रश्न पुछू

    पुछबासँ पहिने पूछि लेलहुँ

    कारण जे आइ-काल्हि

    प्रश्न पूछ' पर सेहो

    उठि रहल अछि प्रश्न

    जँ तैयो पुछिए लेल अहाँ

    त' रहब तैयार

    जे उत्तरमे दागल जा सकैछ प्रतिप्रश्न

    ओना की कहैत छी

    जँ पूछल नहि जाय

    त' प्रश्न की रहत नहि

    प्रश्न त' प्रश्न बनि रहबे करत ठाढ़

    से जँ मुँह नहि त' पूछत आँखि

    जँ शब्द नहि त' पूछत भाव

    जँ लोक नहि

    तखन आत्मा त' पुछबे ने करत प्रश्न

    तेँ त' मोन कहलक

    पुछिए ली अहींसँ जे

    की बिनु प्रश्ने

    जतय पहुँचल अहाँ

    से होइत सम्भव कहियो

    नहि ने

    त' फेरि आइ किएक भ' गेल अछि

    प्रश्न पूछब अक्षम्य अपराध?

    स्रोत :
    • पुस्तक : विसर्ग होइत स्वर (पृष्ठ 39)
    • रचनाकार : प्रणव नार्मदेय
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना
    • संस्करण : 2017

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY