Font by Mehr Nastaliq Web

मुजफ्फरपुर (बालिका सुधार गृह)

mujaphpharpur (balika sudhar grih)

आनन्द मोहन झा

आनन्द मोहन झा

मुजफ्फरपुर (बालिका सुधार गृह)

आनन्द मोहन झा

और अधिकआनन्द मोहन झा

    उजड़ी-उपटी सभ

    घरसँ बेघर त'

    भ' गेल रहैक पहिनहि

    घरक नामपर

    भेटल जे रहैक घर

    घर नहि

    यातना-गृह छलैक

    जतय दू टा रोटीक बदलामे

    छीनि लेल गेल रहैक ओकरा सभक भूख

    कपड़ा-लत्ता द' क'

    कयल गेल रहैक ओकरा बेइज्जत

    बड़ महग पड़लै ओकरा सभकेँ

    रोटी-कपड़ा मकान

    टीवी, अखबार, रेडियो सभपर

    जखन देखैत-सुनैत छी

    पढ़ैत छी जे

    बेटियों को पढ़ने दें

    बेटियों को उड़ने दें

    तखन सोचैत छी जे

    बेटी सभ

    पढ़िक', बढ़िक', उड़िक'

    जेतै कतय

    आखिर एहि दुनियाँमे

    कतय नहि छैक

    एकटा 'मुजफ्फरपुर'!

    स्रोत :
    • पुस्तक : ई नहि थिक हमर प्रार्थना (पृष्ठ 64)
    • रचनाकार : आनन्द मोहन झा
    • प्रकाशन : नवारम्भ, मधुबनी/पटना
    • संस्करण : 2020

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY