Font by Mehr Nastaliq Web

नहि रहत अहिना

nahi raht ahina

अरुणाभ सौरभ

अन्य

अन्य

अरुणाभ सौरभ

नहि रहत अहिना

अरुणाभ सौरभ

और अधिकअरुणाभ सौरभ

    नदी सभ दिन बहैत

    नहि रहती अहिना

    धरती सभ दिन हँसैत

    नहि रहती अहिना

    चिड़ै-चुनमुनी चहकैत

    नहि रहती अहिना

    अकास सभ दिन

    नहि रहत अहिना

    अकास दिस ताकि कुकूर

    नहि भूकत अहिना

    सुख केर पाखंड

    नहि रहत अहिना

    दुःख केर प्रपंच

    नहि रहत अहिना

    मनुक्खो

    नहि रहत अहिना

    जीवनो

    नहि चलत अहिना

    स्रोत :
    • पुस्तक : एतबे टा नहि (पृष्ठ 24)
    • रचनाकार : अरुणाभ सौरभ
    • प्रकाशन : नवारम्भ
    • संस्करण : 2017

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY