Font by Mehr Nastaliq Web

निर्गुण

nirgun

हरेकृष्ण झा

अन्य

अन्य

हरेकृष्ण झा

निर्गुण

हरेकृष्ण झा

और अधिकहरेकृष्ण झा

    एतेक निखारि दैत अछि निर्गुन

    मोहलीसौँफक गाछ केँ,

    जे ओकरा लग अपनहि

    बहुत दूर भ' जाइत अछि!

    झिसियाइत हरियरीक झालरि

    जे सजल अछि

    ओकर तन्नुक ठारि मे,

    ओहि दिस अबितहिँ

    जेना पता जाइत अछि!

    ओकर मेँही दानाक

    उनटल छत्र

    जे टेकने अछि आकाश केँ,

    जाहि मे जमाजूट अछि तरेगन

    सभ रातिक पिंडश्याम

    नीलिमाक संग,

    ओमहर रुखि करितहिँ

    जेना भसिया जाइत अछि!

    एतेक जगजियार

    क' दैत अछि निर्गुन

    जीवनक हरित अभिषेक केँ,

    जे ओकर निछप रूप

    आत्मा पर माझ ठाम

    खचित भ' जाइत अछि।

    मोहलीसौँफक पाँजर मे

    सुनैत छी निर्गुन

    माघक रातिक

    कनकन फर्द मे,

    ओकरा लग आरो

    सहटि जाइत छीः

    तारा जकाँ धोल-पखारल

    ओकर छत्रछाया तर

    आबि जाइत छी!

    स्रोत :
    • पुस्तक : एना त नहि जे (पृष्ठ 2)
    • रचनाकार : हरेकृष्ण झा
    • प्रकाशन : रक्तमंजरी प्रकाशन
    • संस्करण : 2006

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY