Font by Mehr Nastaliq Web

मायक आँगुरक स्पर्श

mayak angurak sparsh

मेनका मल्लिक

अन्य

अन्य

मेनका मल्लिक

मायक आँगुरक स्पर्श

मेनका मल्लिक

और अधिकमेनका मल्लिक

    मसुरी दालिक बड़ी बनबैत काल

    नोर ढबकि जाइत छनि आँखिसँ

    मोनमे उठैत टीसकेँ

    नुकाबऽ चाहैत छथि माय

    मुदा,

    साफ-साफ झलकिये जाइत छनि आकृतिपर।

    अपन नोकरी परिवारक तारतम्यमे

    बिसरि गेल होयबह तोँ

    मुदा, मायकेँ मोन छनि तोहर पसिन

    जे तोहर अबैया सुनितहिं

    दालि पड़ि जाइत अछि पानिमे।

    आब भने कहि दहक एकरा

    गमैया तीमन

    मसुरी दालिक बड़ीमे मिज्झर

    मायक आँगुरक स्पर्श स्नेह

    भेटैत होयतह?

    महानगरक होटलक भोजनमे।

    गामकेँ एखनो तोहर प्रतीक्षा छैक।

    स्रोत :
    • पुस्तक : गेल्ह सब झाड़ैत अछि पाँखि (पृष्ठ 54)
    • रचनाकार : मेनका मल्लिक
    • प्रकाशन : चतुरंग प्रकाशन
    • संस्करण : 2017

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY