Font by Mehr Nastaliq Web

महानगरीक दू चित्र

mahanagrik du chitr

इलारानी सिंह

इलारानी सिंह

महानगरीक दू चित्र

इलारानी सिंह

और अधिकइलारानी सिंह

    (एक)

    हड़तालक कोरामे सुतल अछि

    शिशु कलकत्ता!

    निर्जनतासँ मुँह झाँपने

    रुग्ण शिशु जकाँ

    पीबि रहल अछि दूध!

    हड़तालक आयोजक-बाप

    शिशुकेँ सुतबा लेल

    देशक रंग-बिरंगी कथा

    गढ़ि-गढ़ि कए सुना रहल छैक

    (दू)

    महानगर-भाव

    विधुवायल और मृत पड़ल अछि

    नीरवता और आतंकक कफन ओढ़ने,

    ट्रामक पटरीक खटियापर!

    सभ्य नागरिक जकाँ बिजलीक खम्भा सब

    अर्थी उठयबा लेल ठाढ़ अछि!

    कुत्ता और कौआ मर्सिया गाबि रहल अछि!

    स्रोत :
    • पुस्तक : इजोरियाक अङैठी मोड़ (पृष्ठ 12)
    • संपादक : माला झा
    • रचनाकार : इलारानी सिंह
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक
    • संस्करण : 2004

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY