Font by Mehr Nastaliq Web

मध्यम वर्ग

madhyam varg

श्याम दरिहरे

श्याम दरिहरे

मध्यम वर्ग

श्याम दरिहरे

और अधिकश्याम दरिहरे

    बात बुझइ छी गीरह-गीरह

    चुप रहने हम बुड़बक नहि छी।

    खटपट सदिखन चारि भाइमे चलैत रहैए

    बड़काक डरे सब केओ सटकल

    केओ बाजल तँ खूब पिटैए

    छोट दुलारू माय-बाप केर

    मझिला-सझिला टग्ग हनैए

    ओकरो बखड़ा काटि-काटिकऽ

    सब केओ छोटकेक संग पुरैए।

    बड़का मिलि उड़बय गुलछर्रा

    सब बीचले केर पेट कटैए

    कटलनि आँगुर द्रोण

    दंड आइधरि सब भोगइए

    बड़का चूसय एकतरफ

    छोट कंठ तरुआरि धरैए।

    गंगा-जमुना उछिलि गेल अछि

    बान्ह छेंककेँ आब के मानत

    जे केओ गरदनि हमर दाबत

    ठोहि पाड़ि सबदिन कानत

    मझिले-सझिले मेरूदंड अछि

    जँ टूटल भार के टानत

    सहजहिं पैघ ने कान्ह लगाओत

    छोटकेँ असगर पार ने लागत

    तैं कहैत छी हमरो चीन्हू

    बिनु हमरे तँ केओ नहि जागत।

    कात करू जुनि यौ बाबूसब

    अपने लोक छी, दुश्मन नहि छी

    बात बुझै छी गीरह-गीरह

    चुप रहने हम बुड़िबक नहि छी।

    स्रोत :
    • पुस्तक : क्षमा करब हे महाकवि [मैथिली कविता-संग्रह] (पृष्ठ 70)
    • रचनाकार : श्याम दरिहरे
    • प्रकाशन : नवारंभ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2016

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY