Font by Mehr Nastaliq Web

कविक घोषणापत्र

kavik ghoshnapatr

विकास वत्सनाभ

विकास वत्सनाभ

कविक घोषणापत्र

विकास वत्सनाभ

और अधिकविकास वत्सनाभ

    अपन नहपर एक मिसिया माटि धयने

    पृथ्वीक निरीक्षण करैत

    घोषणापत्रक शीर्षक लिखलनि अछि कवि

    तेसर विश्वयुद्धक उपचारक हेतु

    एकमात्र औषधि होयत प्रेम

    अदौसँ पैटन टैंकक अट्टहासमे

    हेराइत रहल अछि ओहि स्त्रीक हाकरोस

    जे अपन बच्चाक लहास गाड़बाक हेतु

    शिम्बोर्स्काक कवितामे खुनि रहल अछि खाधि

    कोनो आर्ट गैलरीमे टाँगल

    सोमालियाक सियाह पेंटिंगक सोझाँ

    कियैक प्रासंगिक रहैत अछि बोधिसत्त्वक मूर्ति?

    पंचशीलसँ परमाणु धरिक यात्रामे

    अपैत होइत पृथ्वीक शुचिताक निमित्त

    अनिवार्य अछि लिखल जायब कविता

    जानि नहि

    सीरियाक माटि आओर कतेक होयत लाल

    आओर कतेक टभकत उत्तरी कोरियाक गुड़-घाओ

    ग्लोबल वार्मिंगसँ पसिझैत पृथ्वीसँ

    हिरोशिमा-नागासाकी नहि अछि बहुत बेसी दूर

    नहियें सिक्त भ' सकल जेनेवा

    ऑस्कर नियेमेरक बनाओल मैनहैटनक चौखटिपर

    एखनहुँ शेष अछि शांति कलशक स्थापना

    वियेनाक आँगनमे बाँचल अछि छीटल जायब दूर्वाक्षत

    जखन कि आइ चानपर गहुम बाउग करबाक

    होइत अछि ओरियान

    काल्हि पृथ्वीपर फेर कतहु गाछक डारिमे

    फँसरी लगाओत एक टा किसान

    बारूदी सुरंगपर बेजान भगैत शताब्दीकें

    अपन घोषणापत्रसँ

    गुलाब गहुमक परिचिति हेतु

    आश्वस्त करैत छथि कवि

    कविता ओहि समस्त आश्वस्तिक परिभाषा थिक

    जाहिसँ लिखल जायत मनुक्खक उत्तरकथा

    रोटी, प्रेम माटिक भाषामे

    स्रोत :
    • पुस्तक : नेपथ्यसँ अबैत हाक (पृष्ठ 27)
    • रचनाकार : विकास वत्सनाभ
    • प्रकाशन : किसुन संकल्प लोक, सुपौल
    • संस्करण : 2025

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY