Font by Mehr Nastaliq Web

कतेक लिखू

katek likhu

बिभा विमर्श

बिभा विमर्श

कतेक लिखू

बिभा विमर्श

और अधिकबिभा विमर्श

    भरि राति

    जरैत रहलहुँ

    बिनु तेलक बाती जकाँ

    कखनो धुधुआइत

    कखनो टिमटिमाइत

    तँ कखनो फकफकाइत

    गड़ैत रहल

    भरि देह काँट

    टीसैत रहल अंग-अंग

    तथापि

    इसइसाइत

    भोगैत रहलहुँ पीड़ा

    भीजैत रहलहुँ घाम

    स्त्री छी ने

    कतेक लिखू अपन आहि

    विकलांग भऽ जायब पूरा वर्ग...!

    स्रोत :
    • पुस्तक : नहि सीता नहि (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 79)
    • रचनाकार : बिभा विमर्श
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2023

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY