Font by Mehr Nastaliq Web

गाछक व्यथा-कथा

gachhak vyatha katha

मेनका मल्लिक

अन्य

अन्य

मेनका मल्लिक

गाछक व्यथा-कथा

मेनका मल्लिक

और अधिकमेनका मल्लिक

    जामुनकेँ कहलक बाँस—

    की भाइ! उदास कियेक छह?

    जामुन बाजल—

    एकोढ़मे छी पड़ल

    फल लुधकल अछि

    अबैये नहि कियो लऽगमे।

    पहिने

    खेहारने घुरय

    नेनहि नहि, जुआन-जहान सभ

    मारय झटहा

    हम अपने नीचाँ आबि जइयै

    झटहा तँ बहन्ना होइक।

    खाइत छल तोड़ि-तोड़ि

    होइत छल संतोष

    दैत छलियैक निरोग होयबाक आशीष।

    आब सिसोहिकऽ लऽ जाइये खट्टी

    बेचि लैये शहर-बजार मे

    बूझह जे नग्न कऽ दैये।

    सुनि दुखी भेल बाँस—

    हमरो सैह हाल भाइ!

    उपटल जाइत छी अपने डीहसँ

    एकसरिये तोँ हम कैये की सकै छी?

    हौ! नेना सभक मूड़न-उपनयन-बियाहमे

    कोना बनतैक डाला, पनपथिया

    सूप, चँगेरा कोनी-बेनी

    बिनु फुलडालीक कोना जयतीह फूल लोढ़ऽ

    सुआसिन-बहुआसिन?

    कतबो पलास्टी आबि जाउक

    अपना सनक स्पर्श नहि ने भेटतैक।

    चिन्तामे दुनू गलल जाइत अछि।

    स्रोत :
    • पुस्तक : गेल्ह सब झाड़ैत अछि पाँखि (पृष्ठ 42)
    • रचनाकार : मेनका मल्लिक
    • प्रकाशन : चतुरंग प्रकाशन
    • संस्करण : 2017

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY