Font by Mehr Nastaliq Web

हीर सँ

heer san

हरेकृष्ण झा

अन्य

अन्य

और अधिकहरेकृष्ण झा

    कहकह आगिक रसोँ मे पागल

    गुलकन्द

    गुड़कैत रहल

    ओहि डिब्बाक

    यात्री सभक खून मे।

    सितलहरीक रातिः

    कठुआ क' शरण

    लेम' चाहैत छल अंग-अंग

    प्राणक बचल-खुचल ऊष्मा मेः

    आर कोनो ठाहर नहि।

    राति भरि गबैत रहल

    राम-जानकी विवाहक गीत

    किरतनिया सभक

    एकटा गोल

    हलफीक काट करबाक

    लेल!

    की सँ की युक्ति

    बहराइत छैक

    मनुक्खक भीतर

    जीवनक हीर सँः

    हेमाल होइत साँस सँ

    बना लेत गुलकन्द,

    पागि लेत ओकरा

    अपना भीतर जोगाओल

    आदिम आगिक रसोँ मे!!

    स्रोत :
    • पुस्तक : एना त नहि जे (पृष्ठ 12)
    • रचनाकार : हरेकृष्ण झा
    • प्रकाशन : रक्तमंजरी प्रकाशन
    • संस्करण : 2006

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY