Font by Mehr Nastaliq Web

एसगर

esgar

मायानंद मिश्र

और अधिकमायानंद मिश्र

    डुबैत जा रहल अछि हमर 'आवाज'

    एहि माथाहीन भीड़क असम्बद्ध कोलाहलमे

    हमर 'आवाज' डूबल चल जा रहल अछि

    असहाय

    विवश

    ओकर लहराइत हाथ एखनहु देखबामे आबि रहल अछि

    सब ताकि रहल अछि

    मूक, असमंजसमे।

    कहियो जागत पौरुष (?)

    ता कतेको डूबि गेल रहत।

    स्रोत :
    • पुस्तक : अवान्तर (पृष्ठ 62)
    • रचनाकार : मायानन्द मिश्र
    • प्रकाशन : मैथिली चेतना परिषद्, सहरसा
    • संस्करण : 1977

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY