Font by Mehr Nastaliq Web

एना किये होइत छै?

ena kiye hoit chhai?

बिभूति आनंद

अन्य

अन्य

बिभूति आनंद

एना किये होइत छै?

बिभूति आनंद

और अधिकबिभूति आनंद

    एना किये होइत छै भाइ

    जे रेडियो अखबारक बाते

    मात्र बात होइत छै

    कोनो अगियासी लग होइत खैनी परक बात

    आकि

    चुल्हिक आगु-पाछु बैसल पति-पत्नीक बात

    बात किये ने होइत छै

    एना किये होइत छै भाइ?

    पंचतंत्रक खिस्सा जकाँ जोड़ल छै सम्बन्ध

    मुखियासँ मन्त्रीधरिक

    कोनो खेल समाचार जकाँ

    महत्वपूर्ण होइत छै एकर भाषणक समाचार

    कोनो गोसाँउनिक पीरी जकाँ

    प्रणम्य होइत छै एकर चरण-कमल

    कृष्णक चरित्र जकाँ

    वेदाग होइछ एकर चरित्र

    से, एना किये होइत छै भाइ?

    एहि लोकक कृत्य-कथा

    कोनो जासूसी-कथा जकाँ रोमांचक होइछ

    कोनो विस्फोटक स्थितिकेँ जन्म देबऽबला होइछ

    एहि जीवक जीवन-कथा

    कोनो खराम-छाप साँप जकाँ

    मारुक होइछ एकर चिक्कन चेहरा

    तैयो

    एकर कथा कोनो स्वप्न जकाँ

    खंडिते किये रहि जाइत छै

    आखिर एना किये होइत छै भाइ?

    बात

    जे बेटाक माथपर हाथ धऽ बाजल जाइत छै

    संसदक

    गीता-कुरानपर हाथ धऽ बाजल जाइत बातसँ

    कतेक भिन्न होइछ

    बात

    जे अड़िकऽ आकि गीरह बान्हिक कहल जाइत छै

    कोनो प्रेस विज्ञप्ति द्वारा कहल जाइत बातसँ

    कतेक भिन्न होइछ

    बात

    जे आपसी सामंजस्यसँ बहराइत छै

    कचहरीक जजक इजलाससँ बहरायल बातसँ

    कतेक भिन्न होइछ

    से आखिर एना किये होइत छै भाइ?

    संसद किंवा विधानसभा कक्षक चुबैत पसेना

    जेठक दुपहरियामे खदकैत

    हरबाहक पसेना नहि होइत छै

    से, एहि पसेनाक बात, बात किये ने होइत छै

    रेडियो अखबारक बाते

    मात्र बात किये होइत छै

    सहरजमीनक बात किये ने होइत छै बात

    आखिर, एना किये होइत छै भाइ?

    स्रोत :
    • पुस्तक : उपक्रम (पृष्ठ 5)
    • रचनाकार : बिभूति आनन्द
    • प्रकाशन : भवानी प्रकाशन
    • संस्करण : 1984

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY