Font by Mehr Nastaliq Web

देश-विदेशमे

desh videshme

मुख्तार आलम

अन्य

अन्य

मुख्तार आलम

देश-विदेशमे

मुख्तार आलम

और अधिकमुख्तार आलम

    जखन एकटा व्यक्ति

    चलि जाइत अछि

    दूर-दराज, देश-विदेश—

    अमेरिका, इंग्लैंड

    रूस, फ्रांस, कनाडा

    चीन, अरब, ओमान

    तँ मेटि जाइत अछि

    ओतय ओकर नाम-गाम

    ओकर अपन

    एगो खास चिन्हान

    ओकर पहिचान

    नहि रहि जाइत अछि

    बंगाली, बिहारी

    पंजाबी, मराठी

    कश्मीरी, तमिल

    नहि रहि जाइत अछि

    हिन्दू-मुसलमान

    दलित-महादलित

    सवर्ण-अवर्ण

    अपन पहिचानमे

    भए जाइत अछि

    इंडियन

    सामूहिक पहिचानमे

    बीतैत अछि ओकर जीवन

    जखन एकटा व्यक्ति

    चलि जाइत अछि

    मुम्बइ, सूरत

    गुड़गाँव, लुधियाना

    इंदौर, दिल्ली

    कलकत्ता, पुणे

    आदि इत्यादिमे

    तखनो नहि

    रहि जाइत अछि

    कुमेदानी, मोहनपुरिया

    महपुरिया, बिसनपुरिया

    भरौलिया, भदौलिया

    ओतय ओकर मेटि जाइत अछि

    नाम-गाम चिन्हान

    मुदा ओकरा भेटैत अछि

    एकटा नबका सामूहिक पहिचान—

    बिहारीक

    जेना कि

    बिहारक प्रतिनिधि हो

    जखन एकटा पुरुष

    बसि जाइत अछि

    अपन सासुरमे

    तँ ओकर कुल खानदानकेँ

    सुनय पड़ैत अछि गारि

    हँसी-मजाकमे

    नहि रहि जाइत अछि

    रहीम, करीम, फारूक

    इफ्तेखार, अनवर, अब्दुल्लाह

    रमेश, महेश, सुरेश

    जोगिन्दर, महिन्दर

    भए जाइत अछि

    सौंसे गामक कुटुम

    खड़गपुरिया, महखड़िया

    भगलपुरिया, दरभंगिया सेहो

    जखन एकटा बेटी

    बियाहक बाद

    चलि जाइत अछि

    अपन सासुर तँ

    बिसरि जाइत अछि

    अपन नाम—

    ममता, गीता, रीता

    फुलिया, धनपतिया

    हीना, शबाना

    तरन्नुम, मुशर्रत

    ओकरा भेटैत अछि

    एकटा सामूहिक पहिचान

    अपन नामकेँ बिसरि

    गामक प्रतिष्ठाक भार

    माथपर उघैत

    बनल रहि जाइत अछि

    बड़गाँववाली, बनमावाली

    आरण, बिसनपुरवाली

    दरभंगावाली भौजी

    मामी, छोटकी काकी

    मैझली काकी, बड़की माय

    अपन नामकेँ बिसरि

    सामूहिक पहिचानमे

    एकटा बेटी

    बिता दैत अछि उमरि

    अपन गामक लोक-लाजकेँ उघैत

    दोसराक गाम-घर बना कए अप्पन

    एकटा बिया

    करैत अछि आत्मसात

    अपन कोखिमे

    दए दैत अछि

    एकटा पुरुषकेँ

    लियौ अपन संतान

    चलाबू अपन वंश।

    स्रोत :
    • पुस्तक : परिचय बनैत शब्द (पृष्ठ 23)
    • रचनाकार : मुख्तार आलम
    • प्रकाशन : मुख्तार आलम
    • संस्करण : 2021

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY