Font by Mehr Nastaliq Web

दलित विर्मशक कविता

dalit virmshak kavita

रामकृष्ण परार्थी

रामकृष्ण परार्थी

दलित विर्मशक कविता

रामकृष्ण परार्थी

और अधिकरामकृष्ण परार्थी

    भनेहि अहाँ नहि दियौ

    दलित विमर्शक कविताकेँ मान्यता

    मुदा एहि कवितामे भेटत अहाँकेँ

    वैज्ञानिक सोच, बौद्धिक चेतना मनुक्खता

    एहिमे नहि रहैत छैक पाखण्ड-आडम्बर-अंधविश्वास

    नहि कहैत छैक भेदभावक कोनो बात

    समतामूलक समाज, समावेशी विकास छैक

    एहि कविताक आधार

    ताहि लेल करैत रहैत छैक

    वर्चस्वक संस्कृतिक बहिष्कार

    यथार्थपर आधारित कविता

    फूसिक परिकल्पनाकेँ नहि दैत छैक मान्यता

    कियैक त' तर्कक कसौटीपर

    जाँचल-परखल विचारसँ

    लिखाइत छैक कविता

    लोक जन्मसँ नहि, कर्मसँ होइत छैक महान

    एहि कविताक यैह छैक सिद्धांत

    दलित विमर्शक कविताकेँ नहि चाही

    पुरस्कार आकि सम्मान

    एकर मात्र एकहि टा उद्देश्य छैक

    दलित-शोषित-पीड़ित जनकेँ मिलैक

    समाजमे उचित स्थान

    संविधानक सम्मान करैत लिखल गेल

    एहि कवितामे

    नहि रहैत छैक चाटुकारिताक कोनो नामोनिशान

    दलित विमर्शक कविताक यैह छैक पहिचान

    दलित कविक आदर्श होइत छैक

    महान विचारक, धर्म-समाज सुधारक

    आंबेडकर, बुद्ध, नानक, कबीर, रबिदास, फुले, पेरियार

    हुनके सभक विचारक प्रभावसँ होइत छैक

    दलित विमर्शक कविता तैयार

    दोसर, अन्याय-अत्याचारक प्रतिकारमे

    लिखैत काल

    अपन अस्मिता लेल संघर्ष करैत रहैत छैक

    एगो दलित साहित्यकार

    मुदा अहाँ नहि बुझबै बात

    कियैक त' अहाँमे भरल अछि जातीय अहंकार

    जाहि कारणे अहाँ समृद्ध नहि होम'

    दिय चाहैत छियैक अपन मातृभाषा

    मैथिलीक साहित्य संसार।

    स्रोत :
    • पुस्तक : प्रतिकार एखन बाँकी अछि (मैथिली कविता-संग्रह) (पृष्ठ 51)
    • रचनाकार : रामकृष्ण परार्थी
    • प्रकाशन : नवारम्भ, पटना/मधुबनी
    • संस्करण : 2022

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY