Font by Mehr Nastaliq Web

हेरायल कातिक पूर्णिमा

herayal katik purnima

अरुणाभ सौरभ

अन्य

अन्य

अरुणाभ सौरभ

हेरायल कातिक पूर्णिमा

अरुणाभ सौरभ

और अधिकअरुणाभ सौरभ

    कातिक पूर्णिमामे

    मोन कसमसा जाइछ

    परदेसमे, जे

    गाममे रहितहुँ

    तँ अखन बहिनक फोड़ितहुँ सामा

    निश्चिते कनैत हेती बहिन सेहो

    परदेसमे

    अपना गाममे

    आब सामामे

    नहि रहैत अछि

    भाइ बहिन

    भारतक अलग-अलग

    कोनमे बसि गेल

    भाइ बहिन

    तेँ माटिक सामा

    चलि गेली रसातल

    भरदुतियाक पान सुखा गेल

    आजुक दुनियामे

    हेरायल जा रहल

    अप्पन एक-एक चीज

    सामा-चकेबा,

    भरदुतिया

    वृंदावन, चुगला

    अथरो-पथरो

    ढेंगा-पानी

    आबक दुनिया केर

    हेरायल जाइत वस्तुमे

    यत्किचिंत

    जरूरे छै शामिल

    सामा-चकेबा

    किछु दिनुका बाद

    बेटा चरियायत कि

    'पप्पा कातिक पुर्णिमामे

    चानो नहि भेटल

    अइ बेर

    से देखियौ...'

    स्रोत :
    • पुस्तक : एतबे टा नहि (पृष्ठ 38)
    • रचनाकार : अरुणाभ सौरभ
    • प्रकाशन : नवारम्भ
    • संस्करण : 2017

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY