Font by Mehr Nastaliq Web

सुनगैत बारह मास

sungait barah maas

शान्ति सुमन

शान्ति सुमन

सुनगैत बारह मास

शान्ति सुमन

और अधिकशान्ति सुमन

    रोसनी घर-घरमे पहुँचत

    पढ़ने छलहुँ किताबमे

    कहाँ बुझायल घर अपने

    राखल अपन हिसाबमे

    फटल-पुरान मायकेर साड़ी

    बाबुक थाकल साँस

    दबल खुशी घरमे नेनाकेँ

    सुनगैत बारह मास

    सुन्न उदास आँखि भेटैत अछि

    उगइत दिनक जबाबमे

    नहरक पानि सुखल ने कहियो

    फसल सुखैत रहल

    हमर चेहरा हरदम हम्मर

    पेटे बनैत रहल

    खोंतासँ उड़ि चिरय उदासल

    भागय अपनबचावमे

    युवतीक लाश बरामद, जरइत

    घर बिना केबार

    एके तरहक लोक कोना

    बनि जाइत अछि अखबार

    वोनक वोन उगय भाकन अछि

    पानिक बीच जमावमे

    सोलह बरखक हँसी कतहु

    होमय एतेक मुरझाययल

    सूखल ठोरक गीत लाबा सन

    फूटय छिड़ियायल

    कोन पिलसिन राँ लीखल दिनई

    बुनल दुखक मेहराबमे

    झरैत रहत तुलसी-चौरापर

    पीयर फूल कनेलक

    उज्जर दिनकेर नीक कथा

    अपने आंगुर लिख देलक

    कोनो उदयकेँ अस्त कहब नहि

    मानब कोनो दबाबमे

    स्रोत :
    • पुस्तक : मेघ इन्द्रनील (पृष्ठ 46)
    • रचनाकार : शान्ति सुमन
    • प्रकाशन : अभिधा प्रकाशन
    • संस्करण : 2005

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY