Font by Mehr Nastaliq Web

साँझक निसान

sanjhak nisan

शान्ति सुमन

शान्ति सुमन

साँझक निसान

शान्ति सुमन

और अधिकशान्ति सुमन

    सीपिया साँझक निसान

    खिंचल जे तरहथपर हमर

    हम तकर की करू!

    दिन-दिन बादरि-घेरल नभ लखि

    रितुक होय पहिचान

    एक दिनक अनुरागमे बान्हल

    जिनगी के मधु गान

    पानिपर रौदक बान

    खिंचल जे मनपर हमर

    हम ओकर की करू!

    मन मारि देखै छी मौसमकेँ

    तँ हाथे नहि किछु आबय

    पँखुरी-पँखुरी रंगहीन अछि

    घेरि-घेरि बतियाबय

    दुख पाथरक कमान

    गड़ल जे छनपर हमर

    हम एकर की करू!

    स्वागत-हीन दृश्य सभ एमहर

    ओमहर कतओक पाटल

    इन्द्रधनुष कान्हपर टँगने

    लोक-वेदमे बाँटल

    बीचोबीच सीवान

    गड़ल जे पथपर हमर

    हम ककर की करू!

    स्रोत :
    • पुस्तक : मेघ इन्द्रनील (पृष्ठ 49)
    • रचनाकार : शान्ति सुमन
    • प्रकाशन : अभिधा प्रकाशन
    • संस्करण : 2005

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY