Font by Mehr Nastaliq Web

भाग जोरगर तऽ गदहा पहलमान

bhaag jorgar taऽ gadha pahalman

अमित पाठक

अमित पाठक

भाग जोरगर तऽ गदहा पहलमान

अमित पाठक

और अधिकअमित पाठक

    कोनो मानि ने कोनो आनि ने

    आब तकरे बढ़ल छै गुमान

    भाग जोरगर तऽ गदहा पहलमान

    कोनो मानि ने...

    जएह उपासक त्याग कर्मक आइ तकर नहि मोजर

    कौआ बनि बैसल अछि कोयल ताल धरए कनगोजर

    मधु बोलमे माहुर लोलमे

    राखि सगरो बँटैए गियान

    भाग जोरगर तऽ गदहा पहलमान

    कोनो मानि ने...

    भाग जकर से भोग करैए ताकए मुँह अभागल

    व्यर्थ हमर तप यहए झखए नित्तह सूतल-जागल

    जँ हो भाग ने, भेटै साग ने

    भाग रहलेसँ पुआ-पकमान

    भाग जोरगर तऽ गदहा पहलमान

    कोनो मानि ने...

    सभ किस्मत केर खेल रे भैया हम कि तूँ कठपुतरी

    ओकरे बले बिलाड़िक ऊपर डाइ चलाबए मुसरी

    सोना ताम सन तामे सोन सन

    देखि रहला यए सभ भगवान

    भाग जोरगर तऽ गदहा पहलमान

    कोनो मानि ने...।

    स्रोत :
    • पुस्तक : गीत-गगन (पृष्ठ 45)
    • रचनाकार : अमित पाठक
    • प्रकाशन : नवारम्भ
    • संस्करण : 2024

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY