Font by Mehr Nastaliq Web

तुरत सम्हरू

turat samhru

मार्कण्डेय प्रवासी

मार्कण्डेय प्रवासी

तुरत सम्हरू

मार्कण्डेय प्रवासी

और अधिकमार्कण्डेय प्रवासी

    कतहुसँ धारदार—

    प्रहार भऽ रहले, तुरत सम्हरू!

    अहाँ छी हरिण, कोनो बाघ धऽ रहले, तुरत सम्हरू!!

    चतुर्दिक् रावणे अछि—

    मैथिलीकेर हरणमे लागल,

    धनुषपर तीर तानू, युद्ध भऽ रहले, तुरत सम्हरू!

    कतहु अछि घूर तँ कत्तहु—

    पियासक आगि धधकल अछि,

    बहुत चलबाक अछि, दिन शेष भऽ रहले, तुरत सम्हरू!

    सजगता त्यागिकऽ—

    सूतल रहल अछि गाम जेँ अप्पन,

    नगर तेँ आक्रमण दिन-रातिकऽ रहले, तुरत सम्हरू!

    प्रवासीकेर गजलमे—

    कनैए मिथिलांचलक महिमा,

    सुवासित साधना अछि नष्ट भऽ रहले, तुरत सम्हरू!

    स्रोत :
    • पुस्तक : हम भेटब (मैथिली गीत-नवगीत संग्रह) (पृष्ठ 18)
    • रचनाकार : मार्कण्डेय प्रवासी
    • प्रकाशन : जखन-तखन, दरभंगा
    • संस्करण : 2004

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY