Font by Mehr Nastaliq Web

एलें तूँ जखने

elen toon jakhne

अमित पाठक

अमित पाठक

एलें तूँ जखने

अमित पाठक

और अधिकअमित पाठक

    एलें तूँ जखने कोखिमे गे बेटी

    चहकि उठल अँगना-दलान गे

    तप्पत धरा पर जेना मेघ बरिसल

    हुलसि उठल मोन-प्राण गे

    एलें तूँ जखने...

    खल-खल हँसैत अछि हम्मर मड़ैया

    खेल-कूद, नाच-गान देखि तोहर दैया

    चुलबुल चिड़ैयाँ तोरा पाबि हमरो

    भेटि गेल सगरो जहान गे

    एलें तूँ जखने...

    कोरा लऽ तोरा दुनियाँ देखेलियौ

    सक्क भरि नीक बेजाइयो बुझेलियौ

    झोरामे घोड़ा हाथी खेलौना

    देलियौ रंग बिरही समान गे

    एलें तूँ जखने...

    आब तकर फऽल भेटल गौरव बढ़ाबेँ

    मान तोहर सगरो, तू सभकेँ जुराबेँ

    एहेन सन्तान जँ भाग होइ लोकक

    तरि जाय कुल-खानदान गे

    एलें तूँ जखने...।

    स्रोत :
    • पुस्तक : गीत-गगन (पृष्ठ 31)
    • रचनाकार : अमित पाठक
    • प्रकाशन : नवारम्भ
    • संस्करण : 2024

    Additional information available

    Click on the INTERESTING button to view additional information associated with this sher.

    OKAY

    About this sher

    Close

    rare Unpublished content

    This ghazal contains ashaar not published in the public domain. These are marked by a red line on the left.

    OKAY